AFN
Home     Newsletter     Contact Us

Our Programs

हिलकोर

Back to the listing
View Program Details

सियाबती आ प्रमिला खीर बनबै छै । सियाबती सम्तोलीयाके खीर खुआबऽ चाहै छै लेकीन जयराम सम्तोलीयाके नइ खाय दै छै । मुस्तकिम रहिम आ करिमासँ बहुत खुश छै । ओ नजमा आ सलाउद्दिनके निकाहके लेल रहिमसऽ बात करै छै । राम अञ्जनीके झलकके बारेमे सोचि सोचि कऽ उदास नइ होबऽ लेल कहै छै । ओ अञ्जनीके समझबै छै जे बेटीसब एहने होइ छै । बेटीके पढाकऽ कहियो किछु नीक नइ भेलैय । की अञ्जनी आब रामके बातके विश्वास करतै ? सलाउद्दिन नजमा सऽ निकाह करऽ लेल तैयार छै ? जयराम किया सम्तोलीयाके खीर नइ खाए देलकै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -96

जनार्दनके पैसाके बहुत आवश्यकता छै । ओ रहिम लङ पैसाके ताकेता करै छै । ओ इहो कहै छै जे पैसा नइ भेटलै तऽ ओकर जान पर बनि सकैय । गौतम हिम्मत कऽ कऽ शिल्पाके अपन मोनके बात कहि दै छै । शिल्पासँ ओ अखनो प्रमे करै छै आ ओकरासँगे अपन जीवन बिताबऽ चाहै छै से कहै छै । सियाबती सम्तोलीयाके सब दिनलेल अपन रस्तासँ हटाबऽ के योजना बनबै छै । ओ प्रमिलाके अपन योजनामे साथ देबऽ लेल कहै छै । सियाबती की करऽ चाहै छै ? शिल्पा गौतमके की जबाब देतै ? रहिम जनार्दनके पैसा देतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -95

काशिरामके शिल्पा आ गौतमके भेट भेल छलै से बात मालुम परि जाइ छै । काशिरामके गामक लोक कहै छै जे शिल्पा आ गौतम मोटरसाइकलपर सँगे छलै । काशिराम शिल्पासऽ अहि विषय पर पुछै छै । राम फेरसँ कृष्णा रधिया पर पोतालेल दबाब दै छै । ओ कृष्णा आ रधियामे सऽ एक गोटेके पोखरि पर जायलेल कहै छै । करिमा रहिमलङ सलाउद्दिनसऽ नजमाके निकाहके चर्चा करै छै । रहिम सलाउद्दिनसऽ बात करब से कहै छै । की नजमा आ सलाउद्दिनके निकाह हेतै ? कृष्णा या रधिया रामके कहल पोखरिपर जाय लेल तयार हेतै ? काशिराम आब शिल्पाके की कहतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -94

कृष्णा आ झलक अञ्जनीके झलकके विवाहमे आशिर्वाद देबऽ जाय लेल कहै छै । लेकीन अञ्जनी नइ मानै छै । सियाबती प्रमिलाके जयरामके सब बात कहि देलकै कहिकऽ डँटै छै । इम्हर प्रमिला सियाबती पर व्यङ्य करै छै जे सियाबती ओकरा कैला अनलकै, जखन जयराम सम्तोलीयाके छोरबे नइ करतै । सियाबती सम्तोलीयाके समाधान निकालऽ परतै से योजना बनबै छै । शिल्पा आ गौतमके भेट होइ छै । दुनु गपशप करै छै । सँगे बैसकऽ नास्ता करै छै । गौतमसँगे शिल्पाके भेटघाट फेर सऽ शिल्पालेल कोनो समस्या ठार करतै ? सियाबतीके दिमागमे की चलिरहल छै ? अञ्जनी झलक आ उदगारके विवाह स्विकार करतै की नइ ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -93


Hilkor Episode -92

Hilkor Episode -91

Hilkor Episode -90

Hilkor Episode -89

Hilkor Episode -88

Hilkor Episode -87

Hilkor Episode -86

राम अपन नाती राहुलके देखऽ पिपहिया गेल छै । ओकर भेट सियाबती सऽ होइ छै । सियाबती राम सऽ कृष्णा आ रधियाके बारेमे पुछै छै । रामके पोता मरि गेलै अहि बात पर सियाबती चुटकी सेहो लै छै । सियाबती रामके पोता लेल एकटा उपाय सुझबै छै । जयराम आ सम्तोलीया अस्पतालमे राहुलसँगे छै । जयराम सम्तोलीयाके ओकरासँगे पिपहियामे रहऽ लेल मनबै छै । ओ सम्तोलीयाके राहुलके भविष्य आ खुशीके वास्ता सेहो दै छै । लेकीन सम्तोलीया प्रमिला पर प्रश्न उठबै छै । इम्हर शिल्पा आ गौतम सरिताके बारेमे बात करै छै । गौतम शिल्पाके सरिता आ ओकर घरबला रञ्जितके बारेमे बहुत बात कहै छै । शिल्पा गौतमके बात सब सुनिकऽ हैरान रहि जाइ छै । गौतमके सरिता आ ओकर घरबलाके बारेमे की सब बुझल छै ? ओ शिल्पाके की बातसब कहै छै ? सम्तोलीया जयरामके बात मानिकऽ सासुर जेतै ? या ओकरा दुनुबीच प्रमिला आइब जेतै ? सियाबती रामके की उपाय बतोने छै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -85

राहुल अस्पतालमे छै । सियाबती, जयराम आ उदगार सेहो अस्पतालमे छै । राहुलके अपरेसन केनाइ जरुरी रहै छै आ ताहिके लेल खुनके व्यवस्था करऽ लेल डाक्टर कहै छै । इम्हर राहुलके ब्लडग्रुप सम्तोलीया सऽ मिलै छै ई बात जयरामके बुझल छै । जयराम सम्तोलीयाके नरेनपुर सऽ बजाबऽके बात करै छै लेकीन सियाबती मना कऽ दै छै । रुकैया आ करिमा सलाउद्दिनके बात करै छै । रुकैया कहै छै जे ओकरा सलाउद्दिन नीक लगै छै । करिमा कहै छै जे ओकरो सलाउद्दिन नीक लगै छै । इम्हर कृष्णा आ रधिया अपन सामान्य जिन्दगीमे फिर्ता आबि गेल छै । राम सेहो धिरे धिरे स्वस्थ्य भऽ रहल छै । लेकीन अञ्जनीके परिवारमे दिक्कत आरो बढिते जा रहल छै । उदगारके लऽ कऽ अञ्जनी आ झलक बीचके तनाव कम नइ होइ छै । अञ्जनी कृष्णा आ रधियाके आगा फेरसँ ई बात दोहरबै छै जे ओ झलक आ उदगारके सम्बन्ध स्विकार नइ करतै । अञ्जनीके जिदपर कृष्णा आ रधिया की प्रतिक्रिया देतै ? रहिमके परिवारमे सलाउद्दिनके चर्चा किया भऽ रहल छै ? सम्तोलीया अस्पताल एतै की नइ ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -84

सलाउद्दिन रहिमके परिवारके लोकसँगे नीक जँका घुलमील गेल छै । सलाउद्दिनके अबाईसँ रहिमके घरके सब लोक खुश छै । सरिताके सासुरके लोक मनोहरके बिना कहने सरिताके संस्कार कऽ देलकै ई बात सऽ फूलबटियामे सब अचम्भीत छै । काशिराम सरिताके सासुरके लोक पर प्रश्न उठबै छै । मनोहरके जेठकी बेटी संगिता सरिताके मृत्यु संजोग नइ भऽ ओकर सासुरके लोकके आ मनोहरके गल्ती रहल कहै छै । प्रमिला आ राहुल सियाबतीके दोकान सऽ घर जाय लेल निकलै छै । प्रमिला राहुलके नीक सऽ नइ सम्हारै छै आ सडक पर राहुलके एक्सीडेन्ट भऽ जाइ छै । सियाबतीके आँखिक सोझामे भेल ई एक्सीडेन्टके बाद आब सियाबती की करतै ? संगिता अपन बाबु मनोहर पर सरिताके मृत्युके दोष किया लगबै छै ? रहिमके परिवारमे धिरे धिरे आबि रहल ई खुशीसभ आगा आरो केहन रङ लेतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -83

रधिया अपन बेटाके शोगमे उदास छै । कृष्णा ओकरा समझबै छै जे, जे चलि गेलै ओ फिर्ता नइ एतै । कृष्णा अपन दुनु बेटीके भविष्यके चिन्ता करऽ लेल रधियाके कहै छै । इम्हर प्रमिला सियाबतीके कहै छै जे जयराम ओकर नजदीक नइ आबऽ चाहै छै । प्रमिला अहि बातसँ उदास छै जे जयराम ओकरामे कोनो रुचि नइ देखबै छै । सियाबती प्रमिलाके दिमागसऽ काज लेबऽ के सल्लाह दै छै । लेकीन जयराम प्रमिला पर तम्साएल छै । उदगार सऽ ओकरा मालुम परल छै जे प्रमिला राहुलके ध्यान नइ रखै छै । अहि बातके लऽ कऽ जयराम सियाबती आ प्रमिला दुनुके बात कहै छै । मनोहर आ कोइलीदेवी अपन बेटा बिट्टुके विवाह लेल लडकी देख रहल छै । कोइलीदेवी शशिकलाके एकटा लडकीके फोटो देखबै छै । शशिकला कोइलीदेवीके पैसाके पाछा नइ जा, नीक लडकी देख बेटाके विवाह करबाक सल्लाह दै छै । इम्हर कोइलीदेवीके जेठकी बेटी संगिता फोन करै छै आ कोइलीदेवीके कहै छै जे सरिताके गम्भीर अवस्थामे पिपहिया अस्पताल लाएल गेल छै । सरिताके की भेल छै ? जयराम प्रमिलाके जालमे फँसतै ? की कृष्णा बेटाके मोहसँ बाहर निकैल गेलै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -82

 

मनोहरके बेटी सरिताके मृत्यु भऽ गेलै । मनोहरके घरमे सब शोकाकुल छै । कोइलीदेवी बेहाल भऽ कनै छै । सरिताके सासुरके लोकके अजिब व्यवहारसँ सब संशकित छै ।  पोताके मृत्युके शोगमे राम सेहो उदास छै । अलका बाबाके मनाबऽ आ हँसाबऽके प्रयासमे छै । अलका रामके कहै छै जे ओ रामके नाम रोशन करतै । ओ कुलके दिपक बनतै । इम्हर सलाउद्दिन रहिमसँ भेट करऽ रहिमके गाम आएल छै । दुनु दोस्त अपन अपन हाल सुनबै छै । रहिमके अवस्था देख सलाउद्दिन बहुत उदास होइ छै । रहिम आ सलाउद्दिनके दोहरा कऽ भेल भेट की दुनुके दोस्ती आरो प्रगाढ बनेतै ? राम पोता मोहसँ बाहर निकैल कऽ अपन पोतीके कुल दिपक स्विकार करतै ? सरिताके मृत्यु स्वभाविक छलै या कोनो घटनाके परिणाम ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -81

प्रमिला राहुलके नरेनपुर सम्तोलीयालङ छोरि आबऽ के सल्लाह यरामके दै छै । जयराम ई बात सुनिकऽ पिता जाइ छै । प्रमिला कहै छै जे ओ राहुलके नीक लेल कहि रहल छै । जयराम प्रमिलाके कहै छै जे ओ राहुलके ध्यान नइ राखि सकैय तऽ अहि घरमे कैला छै ? रहिम रिक्सा किनकऽ घर अबै छै । घरके लोक सब रिक्सा देख कऽ खुश होइ छै । रुकैया पुछै छै जे रिक्सा किनऽ लेल पाइके जोगार कत्त सऽ केलकै ? इम्हर अपन आ झलकबीचके सम्बन्धके भविष्यके लऽ कऽ चिन्तित उदगार झलकसँ पुछै छै जे ओ सब विवाह कहिया करतै ? झलक कहै छै जे ओ अपन बाबुजीके इच्छाके विपरित नइ जेतै । उदगार झलकके बातसँ बहुत परेशान भऽ जाइ छै । की अञ्जनी झलक आ उदगारके विवाह लेल स्विकृति देतै ? रहिम रिक्सा किनऽ लेल पाइके जोगार कत्त सऽ केलकै ? प्रमिलाके राहुलप्रतिके व्यवहार ओकरा कत्त पहुँचेतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -80

रहिम मुस्तकिमके कहै छै जे ओ अपन रिक्सा किनऽ चाहै छै । अपन रिक्सा किन लेतै तऽ रिक्सा सीखऽमे नीक रहतै । मनोहर काशिरामके शिल्पाके स्कुलमे फेरसँ भर्ना करऽ लेल डँटै छै । मनोहर अपन बेटी सरिताके सासुरमे की सब भोगऽ परि रहल छै सेहो कहै छै । काशिराम मनोहरके सरितापर ध्यान देबऽ लेल समझबै छै । प्रमिलाके राहुलप्रतिके खराब व्यवहार सियाबती देख लै छै । ओ प्रमिलाके डँटै छै आ घर सऽ निकालि देबऽ के धम्की सेहो दै छै । की राहुल सियाबती आ प्रमिलाबीचके एकता तोरि देतै ? काशिराम आ मनोहरके फरक फरक विचार ओकर सबके मित्रतापर कोनो असर करतै ? रहिम रिक्सा किनऽ लेल पैसाके व्यवस्था कऽ सकतै ? सुनु हिलकोरके नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -78

शशिकला आ मनोहरके कनियाँ कोइलीदेवी सरिताके बारेमे बतियाइ छै । कोइलीदेवी कहै छै जे सरिताके सासुरमे बड दुःख छै । शिल्पा कहै छै जे ओ सरिताके बहुत बेर फोन केलकै लेकीन सरिता फोन नइ उठबै छै । कोइलीदेवी सरिताके घरबलाके बारेमे किछु कहै छै जे सुनिकऽ शिल्पा आ शशिकला अवाक रहि जाइ छै । कृष्णाके बेटा नइ बाँचि पबै छै । कृष्णाके बेटाके शोगमे पुरा परिवार दुःखी छै । जनार्दनके काज आ बढि रहल डरके कारण रागिनी चिन्तित छै । ओ जनार्दनके काज छोरऽ लेल या ओकरा छोरऽ लेल कहै छै । जनार्दन सब ठीक भऽजेतै कहिकऽ रागिनीके समझबै छै । लेकीन रागिनी नइ मानै छै । ओ घर छोरिकऽ नैहर जाएके तैयारी करऽ लगै छै । की रागिनी सचमे जनार्दनके छोरिकऽ नैहर चलि जेतै ? कृष्णााके परिवार केहन विपतिसऽ लडि रहल छै ? सरिताके घरबला रञ्जीतके बारेमे कोइलीदेवी की कहलकै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -78

अञ्जनी कृष्णाके बेटाके हालखबर बुझऽ लेल कृष्णा ओहिठाम जाइ छै । कृष्णा आ राम दुनु ओहि ठाम छै । कृष्णा कहै छै जे बच्चाके हालत गम्भीर छै । राम बहुत विचलित रहै छै । अपन पोताके खराब स्वास्थ्यके कारण ओ बहुत परेशान रहै छै । अञ्जनी दुनुके भरोस दियबै छै जे सब ठीक रहतै । उदगार जयरामके कहै छै जे ओ नोकरी ताकि रहल छै । ओ जयरामसऽ प्रमिलाके बारेमे सेहो बात करै छै । उदगार कहै छै जे प्रमिलाके व्यवहार ओकरा नइ नीक लगै छै । उदगार जयरामके सुनबै छै जे जयरामके अनुपस्थितिमे प्रमिला राहुलके डँटै आ पिटै छै । काशिराम शिल्पाके लऽ कऽ स्कुल जाइ छै । ओ शिल्पाके स्कुलके बितल दिनसब याद करऽ लेल कहै छै । शिल्पा पुछै छै जे काशिराम ओकरा स्कलुलङ कैला अनलकै । काशिराम कहै छै जे ओ चाहै छै शिल्पा फेरसँ स्कुल जेनाइ आ पढनाइ सुरु करे । शिल्पा फेरसँ अपन पढाइ सुरु करतै ? जयरामके प्रमिला आ सियाबतीके वास्तविकता मालुम परतै ? कृष्णाके बेटा ठीक हेतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -77

प्रमिला फेरसँ सियाबती लङ राहुलके शिकायत करै छै । ओ कहै छै जे राहुल ओकर बात कनिको नइ मानै छै आ जखन तखन ओकरासँ झगडा करैत रहै छै । रहिम अपन परिवारके अपन भविष्यक योजना सुनबै छै । ओ कहै छै जे ओकरा रिक्सा चलाबऽके मोन छै । रहिमके बात सुनिकऽ मुस्तकिम आ रुकैया आश्चर्यचकित रहिजाइ छै । ओ सब पुछै छै जे कटल हातसऽ रहिम केना रिक्सा चला सकतै ? कृष्णाके बेटा बहुत बिमार छै । राम कृष्णापर ओकर पोताके बिगरल हालतके दोष लगबै छै । रधिया सेहो अपन बेटाके बिगर हालतके दोष कृष्णाके दै छै । सब बच्चाके अस्पताल लजाएके तयारी करै छै । मुदा कृष्णालङ पैसाके तंगीके समस्या छै । कृष्णाके बच्चासँगे आगा की हेतै ? रहिमके दिमागमे की चलिरहल छै ? प्रमिला सियाबतीके राहुलके विरुद्ध भडका सकतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -76

जनार्दन आ रागिनी मे जनार्दनके काजके लऽ कऽ बहस होइ छै । रागिनी जनार्दनके पुछै छै जे ओ कोन काज करै छै जे सौंसे गाम ओकरा आ ओकर परिवारके गारि पढै छै । ओ इहो कहै छै जे गामक लोकसब रहिमके हालतके जिम्मेवार जनार्दनके कहै छै । रागिनी जनार्दनके काज छोरऽ लेल या ओकरा छोरऽ लेल कहै छै । काशिराम आ शशिकला शिल्पाके फेरसँ स्कुल पठाबऽ चाहै छै । लेकीन शिल्पा स्कुल जाएसँ मना कऽ दै छै । ओ कहै छै जे आब ओ नइ पढि सकैय । ओ इहो कहै छै जे गामक लोकसब ओकरा माथ उठाकऽ चलऽ नइ देतै । सियाबती प्रमिलाके राहुलके बढियाँ जँका ध्यान राखऽ लेल कहै छै । प्रमिला कहै छै जे राहुल बदमास छै आ प्रमिलाके बात नइ मानै छै । प्रमिलाके मुँहसँ राहुलके शिकायत जयराम सुनि लै छै आ ओ पिताइ छै । जयराम अपन बेटालेल सम्तोलीयाके फिर्ता अनतै ? काशिराम अपन बेटीके स्कुल जाए लेल केना मनेतै ? जनार्दन काज आ कनियाँमेसँ ककरा छोरतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -75

काशिराम आ शशिकला शिल्पाके भविष्यके लऽ कऽ चिन्तित रहै छै । दुनु शिल्पाके आगा की करबाक चाही ओहि बारेमे विचार करै छै । काशिराम गामक लोकसबके बातसऽ परेशान रहै छै मुदा शशिकला समाजके बात नइ सुनि बेटीके भविष्यके बारेमे सोचऽ लेल आग्रह करै छै । रामके अपन पोताके खेलबैत देखि अलका पुछै छै जे राम अलकाके सेहो छोटमे खेलेने रहै की नइ । राम कहै छै जे ओकर पोता ओकर कुलदिप छै । अलका कहै छै जे ओहो अपन कुलके नाम रोशन करतै । हात कटेलाके बाद रहिम अपन व्यक्तिगत काज करऽ लेल असमर्थ भऽ गेल छै । ओकर असमर्थता देख कऽ करिमा बहुत दुःखी छै । रहिम आ करिमा दुनु एक दोसरके ढाढस दै छै । रहिम आ करिमाके जीवन आगा केना चलतै ? अलकाके बात राम कहियो बुझि सकतै ? शिल्पाके लेल काशिराम आ शशिकला की निर्णय लेतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -74

झलक अञ्जनीके कहै छै जे कृष्णाके बेटाके स्वास्थ्य अवस्था चिन्ताजनक छै । अञ्जनी कृष्णाके बेटाके लेल चिन्तित होइ छै । अञ्जनी आ झलकमे फेरसऽ उदगारके बात होइ छै । अञ्जनी झलकके आगा अपन विवशता प्रकट करै छै आ झलकके एकबेर फेरसऽ सोचऽ लेल कहै छै । जयराम अपन बेटा राहुलके अपन गाम पिपहिया फिर्ता आनऽ नरेनपुर जाइ छै । लेकीन सम्तोलीया अपन बेटाके जयरामसँगे पठाबऽ सऽ मना कऽ दै छै । कृष्णा सम्तोलीयाके राहुलके जाय देबऽ लेल समझबै छै । मनोहर शिल्पाके सासुर कहिया फिर्ता जेतै पुछै छै । शशिकलाके मनोहरके बात पसन्द नइ परै छै आ शशिकला आ मनोहरमे शिल्पाके सासुर पठाबऽ के बात पर बहस भऽ जाइ छै । की काशिराम जकाँ शशिकला सेहो मनोहरके बात मानि लेतै ? सम्तोलीयाके अपन बेटाके जयरामसँगे पठाबऽ चाही की नइ ? अञ्जनी आ झलकमे सऽ के अपन जिदसऽ पाछा हटतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -73

सियाबती आ उदगार जयराम पर राहुनले आनऽके दबाब दै छै । सियाबती कहै छै जे ओकरा पोता बिनु मोन नइ लगै छै । उदगार राहुल आ सम्तोलीया दुनुके आनऽ लेल जयरामके कहै छै । जनार्दन रहिमके देखऽ ओकरा ओहिठाम अबै छै । मुस्तिकम आ रुकैया जनार्दनके बात सुनबै छै । ओसब रहिम आ ओकर परिवारके हालतके जिम्मेवार जनार्दन रहल बात कहै छै । झलक आ रधिया अस्पतालसऽ रधियाके बच्चाके देखाकऽ आएल छै । झलक रधियाके कहै छै जे बच्चाके हालत नाजुक छै आ ओकर विशेष खयाल राखऽ परतै । झलक अपन आ उदगारके प्रेम सम्बन्धके लऽ कऽ चिन्तित सेहो रहै छै । रधियाके बच्चाके स्वास्थ्यमे केना सुधार एतै ? जनार्दन रहिम आ ओकर परिवारके आरोपपर की प्रतिक्रिया देतै ? सम्तोलीया अपन बेटाके जयरामसँगे पठेतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -72

रहिम अपन घर आबि गेल छै । ओकर कटल हाथ देख कऽ ओकर घरके लोक दुःखी होइ छै । रहिमके अम्मी रुकैया खुब कनै छै । रहिम कहै छै जे ओकर अपन गलतीके कारण इ सब भेलै । मनोहर काशिरामके शिल्पाके सासुर पठाबऽ लेल कहै छै । काशिराम मना कऽ दै छै । मनोहर इहो कहै छै जे ओकर बेटी सरिता सेहो सासुरमे दुःखी छै । सरिता सेहो अपन बाबु मनोहरके ओकरा नैहर लऽ जाए लेल कहै छै । लेकीन मनोहर नइ जाइ छै । काशिराम मनोहरके समझबै छै जे ओकरा एकबेर सरितासऽ भेट कऽ लेबक चाही । सरिता मनोहरके बेटी छै । सियाबती प्रमिलाके कहै छै जे ओकरा जयरामके आरो नजदिक जाएके छै । ओ इहो कहै छै जे प्रमिलाके जयरामके बेटा राहुलके सेहो सम्हारऽ परतै । प्रमिला कहै छै जे ओ राहुलके ध्यान रखतै । की प्रमिला जयराम आ जयरामके बेटा राहुलके सम्हारि सकतै ? की मनोहरपर काशिरामके बातके असर हेतै ? की ओ अपन बेटी सरितासऽ भेट करऽ जेतै ? रहिम आब आगा की करतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -71

शिल्पा अपन नैहरमे छै । शिल्पाके माइबाबु ओकर हालतपर उदास छै । काशिरामके बेटीके बियाह कम उमेरमे करा देली कहिकऽ पछतावा होइ छै । ओ फेरसऽ शिल्पाके सासुर नइ पठेतै से अडान लै छै । कृष्णा आ रधियामे ओकर बच्चाके लऽ कऽ बहस होइ छै । रधिया कृष्णापर बच्चाके उचित लालनपालन नइ कऽ सकबाक आरोप लगबै छै । कृष्णा रधियाके समझबै छै जे बच्चाके उचित खानपान घरके सामानसऽ सेहो कएल जा सकैय । रहिमके एक्सिडेन्टसँ अन्जान ओकर परिवारके लोक रहिमलेल चिन्तित छै । रहिमके खोजखबर लेबऽ लेल विदेश फोन केलापर रहिमके अब्बु मुस्तकिमके एक्सिडेन्टके बारेमे मालुम परै छै । रहिमके परिवारके लोकके अवस्था की भेल हेतै ? कृष्णा आ रधियाके बच्चाके हालत केहन छै ? शिल्पाके जीवन आब कोन दिशामे जाए बला छै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -70

रधिया आ झलक बच्चाके देबऽ बला खोप सबके बारेमे बात करै छै । झलक रधियाके समझबै छै जे बच्चाके कोन खोप कोन समयमे देबक चाही । रधिया उदगारके बारेमे सेहो बात करै छै । झलक कहै छै जे शायद ओकर बाबुजी नइ मानतै । प्रमिला जयरामके नजदिक आबऽके कोशिश करै छै । ओ जयरामके व्यक्तिगत काजसबमे सहयोग कऽ दै छै । जयराम ओकरा रोकऽ चाहै छै लेकीन ओ जिद करै छै । शिल्पासँगे ओकर सासुरमे भेल घटनाके बाद काशिराम आ शशिकला गगनपुर जाइ छै । शिल्पाके नैहर आ सासुरके लोकमे बहस भऽ जाइ छै । रुकैया आ मुस्तकिम सेहो ओत्त रहै छै । काशिराम कहै छै जे ओ अपन बेटी शिल्पाके ओत्त सऽ लऽ जेतै । की काशिराम अपन बेटी शिल्पाके नैहर लैयेकऽ जेतै ? प्रमिला जयरामके मोनमे अपनालेल जगह बना सकतै ? अञ्जनी झलक आ उदगारके सम्बन्धलेल अपन स्विकृति देतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -69

सियाबती आ प्रमिला जयरामके बारेमे बात करै छै । सियाबती कहै छै जे प्रमिलाके जयरामके नजदिक जाएलेल किछु करक चाही । ओ इहो कहै छै जे जयरामके फुसला सकतै तखने प्रमिला सियाबतीके पुतहु बनतै । प्रमिला सियाबतीके कहै छै जे जयराम ओकरा नजदिक आबहे नइ चाहै छै । सियाबती कहै छै जे जयराम अखनो सम्तोलीयाके याद करैत रहै छै । रहिम अपन हालतपर कनैत रहै छै । ओकरा ई बातके अन्देसा भऽ जाइ छै जे आब ओ नोकरी नइ कऽ सकतै । बिनितके सुपरभाइजर बजेने रहै छै । रहिम बिनितके सुपरभाइजर की कहलकै कहिकऽ पुछै छै । अञ्जनी आ झलक एकबेर फेरसँ उदगारके बारेमे बात करै छै । झलक अञ्जनीके उदगारके लेल मनाबऽ चाहै छै । ओ अञ्जनीके बस एकबेर उदगारसँ भेट कलेबऽ लेल कहै छै । अञ्जनी कहै छै जे उदगारसऽ भेट कऽ कऽ सेहो ओकर निर्णय नइ बदलतै । कि अञ्जनी उदगारसँ भेट करतै ? रहिमके नोकरीसऽ निकालि देतै ? प्रमिला जयरामके मोनमे अपनालेल प्रेम जगा सकतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -68

रहिम आ ओकर साथीसब कारखानामे काज कऽ रहल छै । काजक सुरमे सुरुआएल रहिमसँगे किछु घटना घटि जाइ छै । शिल्पा आ ओकर साउस बुधनीमे फेरसँ कहाकही होइ छै । बुधनी शिल्पाके डँटै छै आ खाना समय पर नइ बनेलक कहिकऽ हाथ दागि दै छै । रुकैया ई सब देख लै छै । जयराम अपन बेटा राहुलसँ बात करऽ लेल सम्तोलीयाके फोन करै छै लेकीन सम्तोलीया ओकर फोन नइ उठबै छै । बेटासँ बात करऽ लेल विचलित जयराम रधियाके फोन करै छै । रधिया कहै छै जे सम्तोलीया जयरामसऽ बात नइ करऽ चाहै छै । की सम्तोलीया जयरामसऽ बात नइ कऽ कऽ ठीक कऽ रहल छै ? शिल्पासँगे भऽ रहल व्यवहार अपना आँखि सऽ देखलाके बाद रुकैया की करतै ? रहिमसँगे केहन घटना घटल छै ? रहिमसँग घटल घटना संजोग मात्र छै या ओकर अपन गलती ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -67

बेदानन्द आ बुधनी शिल्पाके बिन्देसरसऽ झगडा करऽ लेल डँटै छै । बेदानन्द शिल्पाके कहै छै जे ओकरा कोन दुःख छै जे ओ बिन्देसरके नोकरीलेल कहै छै । शिल्पा कहै छै जे ओ खाली बिन्देसरके अपन जिम्मेवारीके एहसास कराबऽ चाहै छै । अञ्जनी कृष्णासऽ ओकर परिवारके बारेमे पुछै छै । ओ कहै छै जे आब तऽ राम बड खुश हेतै । ओकरा पोता भऽ गेलै । कृष्णा अञ्जनीके ओकर बेटाके नाम राखि देबऽ लेल कहै छै । अञ्जनी रामके इच्छासऽ अपन बेटाके नाम राखऽ लेल कहै छै । रहिम आनन्द आ बिनितसँगे बाहर घुमऽ जाए लागल छै । ओ लडकीसबके चक्करमे परिगेल छै । करिमा रहिमके फोन करै छै । लेकीन रहिम नीकसँ करिमासऽ बात नइ करै छै । की रहिम रस्तासँ भटैक रहल छै ? राम आ अञ्जनीके सम्बन्ध फेरसँ नीक बनतै ? की बिन्देसरके अपन जिम्मेवारीके एहसास हेतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -66

सम्तोलीया अपन भतिजाके तेल मालिस करै छै । ओ भजिताभेल खुशीमे किछु सनेस मँगै छै । कृष्णा आ रधिया ओकरा जल्दीए सनेस देबाक बात कहै छै । प्रमिला सियाबतीके घरके सब कामकाज सम्हारि देने छै । प्रमिलाके घरमे देखकऽ जयराम परेशान भऽ जाइ छै । सियाबती जयरामलङ प्रमिलाके खुब बडाई करै छै । लेकीन जयराम सियाबतीके समझबै छै जे प्रमिलाके नइ बजाबक चाही छलै । बेदानन्द अपन बेटा बिन्देसरपर खेतमे काज नइ करै छै तैला बजै छै । बिन्देसर कहै छै जे ओकरा खेतमे काज केनाइ पसन्द नइ छै । इम्हर शिल्पा आ बिन्देसर फेरसँ एकदोसरसऽ बात करै छै लेकीन ओकर सबके बातके कोनो निष्कर्ष नइ निकलै छै । की शिल्पा आ बिन्देसरके सम्बन्ध कहियो सुधरतै ? प्रमिलाके आनिकऽ सचमे सियाबती गलती केलकै ? कृष्णा आ रधियाके जीवन आब सब दिन एहने खुशहाल रहतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -65

सियाबती प्रमिलाके अपन घर लऽ कऽ जाए लागल छै । ओ प्रमिलाके सब किछु समझबै छै । प्रमिलाके अपन बेटा, पुतहु आ पोताके बारेमे सेहो कहै छै आ इहो कहै छै जे अगर प्रमिला नीकसँ रहतै तऽ ओकरा अपन घरके पुतहु सेहो बना लेतै । जनार्दनके मालुम परै छै जे रहिम विदेशसँ पैसा पठेने छलै । ओ मुस्तकिमसँ पैसा माँगऽ जाइ छै । मुस्तकिम पैसा देबऽ सँ मना कऽ दै छै । दुनुमे बहस होइ छै लेकीन करिमाके देखते जनार्दन अपन बातसँ पलटि जाइ छै । राम आ कृष्णा अस्पतालके खर्चासँ चिन्तित छै । दुनु अञ्जनीसँ पैसा माँगऽके सल्लाह करै छै मुदा राम कहै छै जे ओ पैसा माँगऽ नइ जेतै । राम किया नइ अञ्जनीसँ पैसा माँगऽ जाए चाहै छै ? की जनार्दनके नीयत खराब छै ? सियाबतीके मोनमे की छै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -64

रहिम विदेशसँ पैसा पठबै छै । करिमा आ मुस्तकिम आइएमइसँ पैसा निकालि कऽ ई पैसाके की करऽके छै से छलफल करै छै । मुस्तकिम रहिमसऽ सेहो पुछै छै । करिमा रहिमके पुछै छै जे ई पैसा जनार्दनके देतै की नइ ? शिल्पा अपन नैहरसँ गगनपुर फिर्ता चलि जाइ छै । गगनपुरके बस स्टाण्डपर ठार शिल्पाके भेट गौतमसँ होइ छै । जयराम सियाबतीके कहै छै जे जहियासऽ सम्तोलीया गेलै कोनो काज समय पर नइ होइ छै । जयरामके समय पर खाना सेहो नइ भेटै छै आ ओकरा सब दिन स्कुललेल अबेर भऽ जाइ छै । सियाबती घरके काजमे सहयोग करऽ लेल प्रमिलाके आनऽके बात करै छै । प्रमिलाके नाम सुनिकऽ जयराम हिचकिचाइ छै । प्रमिलाके आनऽ पाछा सियाबतीके की उद्देष्य छै ? की गौतमके मोनमे अखनो शिल्पालेल प्रेम बाँकी छै ? रहिमके पठाएल पैसा करिमा जनार्दनके देतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -63

काशिराम आ शशिकलामे शिल्पाके लऽ कऽ बहस भऽ जाइ छै । काशिराम शिल्पाके गगनपुर फिर्ता पठाबऽ चाहै छै लेकीन शशिकला बेटीके अखन गगनपुर पठाबऽके पक्षमे नइ छै । काशिराम आ शशिकलाके बहस शिल्पा सुनि लै छै । रधिया अस्पतालमे भर्ना भेल छै । डाक्टर रधिया आ ओकर बच्चाके अवस्था चिन्ताजनक रहल कहै छै । कृष्णा, राम, अञ्जनी, झलक सेहो अस्पतालमे छै । मुस्तकिम आ रुकैया रहिमके लऽ कऽ चिन्तित छै । करिमा जनार्दनबला बात घरमे सबके कहने छै । मुस्तकिम आ रुकैया जनार्दनके पाइ देबै की नइ ओहि बारेमे परेशान रहै छै । की रहिम सचमे जनार्दनसऽ पाइ देबऽ के सर्त कऽ कऽ गेल छै ? रधिया आ ओकर बच्चा सलामत रहतै ? शिल्पाके निर्णय की हेतै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -62

रधियाके मोन बहुत खराप भेलाके कारण राम आधा रातिमे अञ्जनी ओहिठाम दौडैत दौडैत जाइ छै । अञ्जनी रामके सहयोगके आश्वासन दै छै । अञ्जनी आ झलक रामसँगे घरसऽ निकलै छै । जयराम दोकान बन्द कऽ कऽ घर आबि जाइ छै । सियाबती आ जयराममे काजके लऽ कऽ बाताबाती होइ छै । उदगार दुनुके समझबै छै जे सम्तोलीया रहितै तऽ एत्ते दिक्कत नइ होइतै । मनोहर काशिरामके कहै छै जे बेदानन्द ओकरा फोन केने छलै । ओ काशिरामके कहै छै जे बेदानन्द शिल्पालेल पुछै छलै । मनोहर काशिरामके शिल्पाके सासुर पठेतै की नइ से पुछै छै । ओ इहो कहै छै जे बेदानन्द सेहो इहे बात पुछै छलै जे काशिराम अपन बेटीके सासुर पठेतै की नइ । की काशिराम फेरसऽ शिल्पाके सासुर पठा देतै ? उदगारके बात जयराम आ सियाबतीके समझमे एतै ? रधियाके की भेल छै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -61

जयरामके बजारमे तरकारी लैत देख उदगारके शंका लगै छै । ओ सम्तोलीयाके बारेमे जयरामसऽ पुछै छै । जयराम कहै छै जे सम्तोलीया जयरामके माइ सियाबतीपर हाथ उठेलकै । जनार्दन अपनासँ उपरका हाकिमसबके पैसा नइ दऽ सकला कारण परेशान छै । ओकर परेशानी रागिनी देखै छै । रागिनीके पुछलापर जनार्दन कहै छै जे सहरके म्यानपावर बलाके पैसा ओकरा तिरऽके छै । लेकीन ओ सब पैसा जुआमे हारि गेलै । जनार्दन रागिनीके इहो कहै छै जे ओसब बहुत खतरनाक छै । सम्तोलीयाके हालत देखकऽ रधिया बहुत पछताइ छै । ओकरा ई बातके पछताबा होइ छै जे ओसब सम्तोलीयाके जबरदस्ती पिपहिया पठेने छलै । रधिया सम्तोलीयाके कहै छै जे नरेनपुर फिर्ता आबि कऽ ओ सही निर्णय लेलकै । इम्हर रधियाके दर्द सेहो बढैत जाइ छै । रधिया आ ओकर गर्भके बच्चापर फेरसँ कोनो संकट तऽ नइ एतै ? की जनार्दन म्यानपावरबलाके पैसा तिर सकतै ? की उदगार जयरामके समझा सकतै ?

Hilkor Episode -60

बसमे जनार्दनके भेट करिमासँ होइ छै । ओ करिमाके नजदिक आबऽके कोशिश करै छै । ओ करिमाके कहै छै जे रहिम अपन कमाई जनार्दनके देबऽके सर्त कऽ कऽ विदेश गेल छै । काशिराम अपन बेटी शिल्पाके फूलबटिया आनि लेने छै । काशिराम, शिल्पा आ शशिकला तीनु उदास छै । शिल्पा अपन घरबला बिन्देसर आ सासुरके आरो लोकसबके बारेमे कहै छै । शिल्पा काशिरामके आब सासुर नइ जाएब सेहो कहै छै । सियाबती आ सम्तोलीयामे फेरसँ झगडा होइ छै । सियाबती सम्तोलीयाके पिटऽ चाहै छै । सम्तोलीया सियाबतीके धकलि दै छै । तखने जयराम घर अबै छै । सियाबती जयरामके कहै छै जे सम्तोलीया ओकरा पिटलकै । की जयराम सच बात की छै से बुझि सकतै ? काशिराम शिल्पाके फेरसँ सासुर पठेतै ? जनार्दन कोन सर्तके बारेमे कहि रहल छै ? सुनु हिलकोरक नव अङ्कमे ।

Hilkor Episode -59

काशिराम अपन बेटी शिल्पाके अस्पतालसँ लजाए चाहै छै । काशिरामके समधी बेदानन्द अस्पतालके बील तीरकऽ मात्रे शिल्पाके लजाए लेल कहै छै । काशिराम बेदानन्दके बातसँ बहुत आहत होइ छै । अञ्जनी रधियाके स्वास्थ्यके बारेमे कृष्णासँ पुछै छै । कृष्णा कहै छै जे पैसा अभावके कारण रधियाके इलाज सेहो बढियासँ नइ होइ छै । अञ्जनी कृष्णाके रधियाके इलाजके लेल पूर्ण सहयोग करबाक प्रतिबद्धता दै छै । रहिम विदेशमे चिरान मेसीनमे काठ कटैत रहै छै । लेकीन नीकसँ काज नइ सिखलाके कारण ओकर हाथ चिरान मेसीन भित्तर जाए लगै छै । आनन्द रहिमके हाथ खिँच लै छै आ ओकरा सचेत भऽ कऽ काज करऽ लेल कहै छै । रहिम आनन्दके कहै छै जे ओ काज नइ सिखने छै । आनन्द रहिमके बात सुनिकऽ अवाक रहि जाइ छै । रहिमके ई झुठ जे ओ काज सिखकऽ आएल छै, की ओकरा पर भारी परतै ? रधिया अहिबेर बेटाके जन्म देतै ? काशिराम आ बेदानन्दके परिवारमे द्वन्द्व तऽ नइ हेतै ?

Hilkor Episode -58

अञ्जनी झलकसँ ओकर भावी योजनासब पुछै छै । झलक कहै छै जे ओ अखन पढाई आ अपन काजपर ध्यान दऽ रहल छै । अञ्जनी झलकसँ विवाहके लेल पुछै छै । मुदा झलक अखन नइ कहिकऽ टारि दै छै । अञ्जनी झलकके समझबै छै जे सबकिछु समय पर भजेबाक चाही । अञ्जनी झलकके कहै छै जे कोनो बात छै तऽ कहि देबऽ लेल । लेकीन झलक किछु नइ कहिकऽ टारि दै छै । जयराम सम्तोलीया पर फेरसँ पैसा लेल दबाब दै छै । ओ सम्तोलीयाके अपन नैहरसँ कहुना कऽ पैसा आनऽ लेल कहै छै । सम्तोलीया अपन बाबुलङ पैसा नइ रहल बात दोहरबै छै । जयराम अञ्जनी गिरहतसँ पैसा माँगिकऽ देबऽ लेल कहै छै । काशिराम अपन बेटी शिल्पासँगे अस्पतालमे छै । ओ शिल्पाके हालत देख पछताइ छै । शिल्पा बाबुके सब हाल सुनबै छै । ओ बाबुसऽ पुछै छै जे एते कम उमेरमे कैला ओकर बियाह करा देलकै । काशिरामके आगाके निर्णय की हेतै ? की जयराम सही कऽ रहल छै ? झलक किया अपन प्रेमके बारेमे अपन बाबुजीसँ नुकेलकै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -57

सम्तोलीया नैहरसँ पाई लऽ कऽ नइ एलै । ताहि लेल जयराम परेशान छै । सियाबती जयरामके फेरसँ सम्तोलीयापर दबाब देबऽ लेल कहै छै । लेकीन जयराम सम्तोलीयाके बाबु लङ पाई नइ छै कहिकऽ टारै छै । सियाबती जयरामके कहै छै जे सम्तोलीयाके नैहर बलाके अपन जमीनो बेचकऽ पाई देबऽ परतै । करिमा आ नजमाके रस्तापर जनार्दन भेट भऽ जाइ छै । ओ दुनुके अपना मोटरसाइकल पर बैसऽ लेल कहै छै लेकीन करिमा मना कऽ दै छै । जनार्दनके केकरो फोन अबै छै । राम अञ्जनीसँ खिसियाएल रहै छै । अञ्जनीके पुछला पर राम कहै छै जे अञ्जनी ओकरा सब दिन किछु ने किछु सुनबै छै । अञ्जनी रामके समझबै छै जे ओ रामके परिवारके भलके लेल कहै छै । राम अञ्जनीपर व्यङ्य करैत कहै छै जे बेटीके पढाकऽ ककर भल भेल छै । रामके कहऽके तात्पर्य की छै ? जनार्दनके के फोन केने छलै । सियाबती जयराम आ सम्तोलीयाके सम्बन्ध बिगारि सकतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -56

विदेश गेल रहिम अपन साथीसभ सँगे रमऽके कोशिशमे लागि गेल अछि । ओ आनन्द आ बिनितसँगे रहि रहल छै । नया देश आ नया माहौलमे ओकर साथीसब ओकरा सहयोग कऽ रहल छै । ओ अपन बिबी करिमाके सेहो अपन काज आ अपन साथीसबके बारेमे कहै छै । इम्हर शिल्पाके दाईके देहान्त भऽ जाइ छै । शशिकला शिल्पाके फूलबटिया आबऽ लेल कहै छै । लेकीन शिल्पाके मोन बहुत खराप छै । जाहि कारण ओ अपन दाईके अन्तिम बेर देखऽ नइ जा सकै छै । ओ शशिकलाके कहै छै जे ओकरा तुरत्ते अस्पताल नइ लऽ जेतै तऽ ओ मरि जेतै । सम्तोलीया अपन नैहर नरेनपुरसँ सासुर पिपहिया फिर्ता आबि गेल छै । सम्तोलीयाके घरमे देख जयराम बहुत खुश होइ छै । लेकीन सम्तोलीया पैसा नय अनलकै ई बात सुनिकऽ जयराम फेरसँ तनावमे आबि जाइ छै । की जयराम पैसाके व्यवस्था कऽ सकतै ? शिल्पाके की भेल छै ? रहिम नया जगह आ नया काजके नीकसँ समैझ सकतै ?

Hilkor Episode -55

बिन्देसर रातिमे पी कऽ आएल छै । ओ शिल्पासँगे जबरदस्ती शारिरिक सम्पर्क राखऽ चाहै छै । शिल्पा बिन्देसरके मना करै छै । शिल्पा कहै छै जे अखन ओ गर्भवती छै आ एहन हालतमे बिन्देसरके जबरदस्ती केनाइ बच्चाके लेल खतरनाक हेतै । शारिरिकसँ कमजोर रधियाके ओकर बेटी अलका घरक कामकाजमे हाथ बँटा दै छै । अलका रधियाके पुछै छै जे फुआ सम्तोलीयाके किया जाए देलकै । रधिया समझबै छै जे सम्तोलीया अपन घर गेलै । ओ अपन बेटी अलकाके कहै छै जे एकदिन ओहो अपन घर चलि जेतै । रहिमके परिवारके लोकसभ रहिम लेल चिन्तित छै । ओकरासभके अन्देशा छै जे कहीँ जनार्दन अहिबेर फेरसँ रहिमके ठगि लेतै । रहिमके नोकरी आ विदेशमे ओकर हालतके लऽ कऽ मुस्तकिम, करिमा आ रुकैया परेशान भऽ जाइ छै । की सचमे जनार्दन फेरसँ रहिमके ठकतै ? बिन्देसरके व्यवहारके शिल्पा पर केहन असर परतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -54

घरमे बाल गोपालके अबैया छै कहिकऽ राम बहुत खुश छै । ओ सम्तोलीयाके बाल गोपालके अबैया पर बक्सीस देबऽके बात करै छै । राम सम्तोलीयाके बियाहल बेटीके नैहर नइ रहबाक चाही कहिकऽ समझबै छै । लेकीन सम्तोलीया नइ जेबाक जिद पकरै छै । कृष्णा सेहो सम्तोलीयाके बातमे समर्थन जनबै छै । जयराम सम्तोलीयाके खाना परैस देबऽ लेल आवाज दै छै । सियाबती जयरामके याद दियबै छै जे सम्तोलीया नैहर चलि गेल छै । सियाबती पुछै छै जे सम्तोलीया अपन बाबुसऽ पैसा लेल बात केलकै की नइ । जयराम कहै छै जे सम्तोलीयाके बाबु लङ पैसा रहतै तहन ने देतै । शिल्पाके दाईके मोन खराब छै । शशिकला शिल्पाके फोन कऽ कऽ दाईके देखऽ आबऽ लेल कहै छै । लेकीन शिल्पाके साउस बुधनी शिल्पाके जायसँ मना कऽ दै छै । की शिल्पा अपन दाईसँ भेट करऽ जेतै ? की जयरामके मोन सम्तोलीया लेल पिघैल रहै छै ? सम्तोलीया अपन सासुर पिपहिया जेतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -53

जयराम आ उदगार सँगे बैसकऽ पी रहल छै । दुनु परेशान छै आ एक दोसरसऽ अपन अपन परेशानी बाँटि रहल छै । इम्हर विदेशमे रहिमके साथीसब आनन्द आ बिनित सेहो अपन रुममे बैसकऽ पिबैत रहै छै । ओसब रहिमके सेहो पिबऽ लेल कहै छै लेकिन रहिम हम नइ पिबै छी कहिकऽ मना कऽ दै छै । रहिमके दुनु साथी नयाँ देश आ ओतऽके लोकसबके बारेमे कहै छै । झलक रधियासँ भेट करऽ रधिया ओहिठाम गेल छै । सम्तोलीया सेहो ओहिठाम छै । तीनु बतियाइ छै । झलक किछु परेशान रहै छै । रधिया आ सम्तोलीया झलकके उदासीके कारण पुछै छै । झलक उदगारसँ भेल बहसके बारेमे कहै छै । रधिया उदगारके नाम सुनिकऽ हैरान रहि जाइ छै । ओ झलकसँ पुछै छै जे उदगार आ झलकके सम्बन्ध केना सम्भव छै ? की सचमे झलक आ उदगारके सम्बन्ध सम्भव नइ छै ? रहिमपर ओकर साथीसबके सङतके असर पडतै ? जयराम आ उदगार किया परेशान छै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -52

रहिम विदेश पहुँचि गेलै । ओकरा जाहि कम्पनीमे काज करऽ के छै ओत्त अपन गामक साथी बिनितसँगे छै । सुपरभाइजर रहिमके काज आ कम्पनीके बारेमे कहै छै । बिनित रहिमके अपन दोसर साथी आनन्दसँ भेट कराबऽ लऽजाइ छै । शिल्पा आ बिन्देसर एक दोसरके अपन अपन शिकायत सुनबै छै । शिल्पा बिन्देसर दुनु एक दोसरसऽ खुश नइ छै । उदगार अपन प्रेमिका झलकसँगे रोमान्टिक रहै छै । ओ ओकर सभक सम्बन्धके किछु आरो आगा बढाबऽ चाहै छै । ओ झलकके नजदीक होबऽ चाहै छै मुदा झलक मना कऽ दै छै । अहि कारणसँ दुनुमे तनाव भऽ जाइ छै । झलक आ उदगारके सुमधुर प्रेम सम्बन्ध अहिना रहतै या अहिमे किछु बदलाब एतै ? शिल्पाके बातसबके बिन्देसरपर किछु असर हेतै ? रहिमके सपनासब अहि बेर पुरा हेतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -51

शशिकला शिल्पाके अवस्थाके लऽ कऽ चिन्तित रहै छै । काशिराम शशिकलाके चिन्ता नइ लेबऽ लेल कहै छै । शशिकला काशिरामके फेरसँ कहै छै जे अगर शिल्पाके किछु भेलै तऽ ओ काशिरामके माफ नइ करतै । सम्तोलीया अपन नैहर नरेनपुरमे छै । सम्तोलीया अपन भौजी रधियाके घरक काज सबमे सहयोग कऽ दै छै । सम्तोलीया रधियाके जाबेत ओ छै ताबेत बेसी काज नइ करऽ लेल कहै छै । इम्हर सम्तोलीया जयरामके गल्तीके लेल कहियो माफ नइ करतै सेहो कहै छै । रधिया सम्तोलीयाके समझबै छै आ कहै छै जे परिवारमे ई सब होइते रहै छै । रहिम विदेश जाए लागल छै । रहिमक निर्णयसँ करिमा खुश नइ छै । ओ अन्तिमो क्षण धरि रहिमके नइ जाएलेल कहै छै लेकीन जनार्दन रहिमके निर्णयके समर्थन करैत विदेश जाएके निर्णय उचित छै से कहै छै । की सम्तोलीया जयरामके माफ कऽ कऽ फेरसँ पिपहिया जेतै ? रहिमके अहिबेर विदेशमे नीक काज भेटतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -50

झलक आ उदगार नरेनपुर गामक मन्दिरमे बैसल छै । झलक उदगारसँ ओकर सभक सम्बन्धके बारेमे घरमे बात करऽ लेल कहै छै । लेकीन उदगार कहै छै जे अखन सही समय नइ छै । सम्तोलीया अपन नैहर जाए लागल छै । ओ अपन बेटाके लऽ कऽ जाए चाहै छै । लेकीन जयराम आ सियाबती बेटाके नइ लऽ जाए लेल कहै छै । शिल्पा अपन सासुर जाएके तयारी कऽ रहल छै । सरिता अपन सासुरसँ पहिल बेर नैहर फूलबटिया आएल छै । शिल्पा आ सरिता दुनु सँगी एकदोसरसँ अपन घर परिवारके बारेमे बात करै छै । सरिता कहै छै जे ओकर घरबला ओकरा मानै तऽ छै लेकीन किछु ने किछु दुःख तऽ लागले रहै छै । सरिताके बातके की मतलब छै ? सम्तोलीया अपन बेटाके लऽ कऽ जेतै ? झलक आ उदगारके प्रेम सम्बन्ध दुनुके परिवारके स्विकार्य हेतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -49

जयरामके पिटाइके कारण सम्तोलीयाके बहुत चोट लागल छै । सम्तोलीया नैहर जाएके निर्णय लै छै आ अपन बेटाके सेहो लजेबाक निर्णय करै छै । जयराम सम्तोलीयाके मनाबऽ चाहै छै लेकीन सम्तोलीया नइ मानै छै । रहिम अपन परिवारक लोकके कहै छै जे ओ विदेश जारहल छै । रहिमके बात सुनिकऽ घरके लोकसभ अवाक रहि जाइ छै । मुस्तकिम आ रुकैया रहिमके बात सुनिकऽ पिताइ छै । मुस्तकिम रहिमके चेतावनी दै छै जे अहि बेर फेरसँ किछु भेलै तऽ ओ सहयोग नइ करतै । अलका स्कुल नइ जारहल छै अहि बात पर अञ्जनी आपत्ती जनबै छै । राम अञ्जनीके अपना घरमे बेसी हस्तक्षेप नइ करऽ लेल कहै छै । रामक बात सुनि अञ्जनी अचम्भित भऽ जाइ छै । राम अञ्जनीके एत्ते बडका बात कैला कहलकै ? अहिबेर रहिमके सपना पुरा हेतै ? जयराम सम्तोलीयाके नैहर जाएसँ रोकि लेतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -48

रहिम जनार्दनके देबऽ लेल पैसा लऽ कऽ आएल छै । ओ जनार्दनके पैसा जुआमे नइ हारऽ लेल समझबै छै । शिल्पा अपन नैहरमे छै । ओ सासुर जेबाक बात सोचिकऽ परेशान छै । शशिकला शिल्पाके समझबै छै आ चिन्तित नइ होबऽ लेल कहै छै । शिल्पाके मोनमे डर छै जे सासुरमे ओकर देखभाल केयो नइ करतै । जयरामके व्यापार सुरु करऽ लेल पैसाके जोगार नइ होइ छै । अहि बातसऽ ओ बहुत परेशान छै । ओ फेरसँ सम्तोलीया पर नैहरसँ पैसा माँगऽ लेल दबाब दै छै । लेकीन सम्तोलीया पैसा नइ मँगबाक अडान पर रहै छै । सम्तोलीयाक जिदसँ परेशान जयराम सम्तोलीयाके पिटै छै । जयरामके की सम्तोलीया पर हाथ उठेबाक चाही ? की शिल्पा सासुर जेतै ? जनार्दनके जुआके लत की की करेतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -47

सरिताके बियाहके बारेमे काशिराम आ मनोहर बात कऽ रहल छै । मनोहर अपन जमाइसँ बहुत खुश छै लेकीन काशिराम अपन जमाइ बिन्देसरसँ परेशान भऽ गेल छै । मनोहर बिन्देसरसँ ओकर आगाके योजना पुछै छै । अलका स्कुल गेलै से बात रामके मालुम परै छै । राम ई बात सुनिकऽ पिताइ छै । राम आ रधियामे फेरसऽ अलकाके पढाईके लऽ कऽ कहाकही भऽ जाइ छै । जनार्दन रहिमके मनाबऽ के कोशिश कऽ रहल छै । जनार्दन रहिमके कहै छै जे ओ रहिमके लेल किछु सोचने छै । जनार्दनके दिमागमे की चलि रहल छै ? अलकाके पढाबऽ लेल राम मानतै ? बिन्देसरके भावी योजना की सब छै ?

Hilkor Episode -46

अलका स्कुल नइ जा रहल छै से बात झलकके मालुम परै छै । झलक रधियाके अलकाके स्कुल पठाबऽ लेल फेरसँ समझबै छै । रधिया कहै छै जे ओकरा सहयोग करऽ लेल अलकाके घरमे रहनाइ जरुरी छै । जयराम सियाबतीके कहै छै जे सम्तोलीया नैहर सऽ पाइ आनऽ सऽ मना कऽ देलकै । सियाबती जयरामके कहै छै जे सम्तोलीया आ उदगार कहियो जयरामके नीक सोचबे नइ केलकै । इम्हर फूलबटिया गाममे बियाहके तयारी धुमधामसँ भऽ रहल छै । बियाहके तयारीमे शिल्पा, सरिता, मीना सब व्यस्त छै । शिल्पाके देख गौतम अपना आपके सम्हारि नइ सकै छै । ओ शिल्पासँ ओकर सुखदुखके बारेमे पुछै छै । शिल्पा गौतमके की जबाब देतै ? की शिल्पा अपन जीवनक वास्तविकता गौतमके कहतै  ? सियाबती किया बेर बेर जयरामके सम्तोलीयाके विरुद्ध भडकबै छै ? रधिया आ कृष्णाके तंगीके बीच की सचमे अलकाके जीवन बर्बाद भऽ जेतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -45

उदगार सम्तोलीयाके उदासीके कारण पुछै छै । सम्तोलीया कहै छै जे जयराम दहेज माङऽ लेल कहि रहल छै । उदगार सम्तोलीयाके कहै छै जे ओ एकबेर फेरसँ जयरामके समझेतै । लेकीन सम्तोलीया कहै छै जे जयराम समझऽ बलामे सऽ नइ छै । रहिम जनार्दनके ऋण तिर दै छै । जनार्दन पुछै छै जे एत्ते पैसा कत्तसऽ अनलकै । इम्हर रुकैयाके बहिना शशिकला रुकैयासँगे घुमैत घुमैत बारीमे अबै छै आ रहिमके बारीमे काज करैत देख हैरान रहै छै । शशिकला रहिमके कहै छै जे ओ तऽ सुनने छलै जे रहिम विदेशमे बहुत नीक काजमे छलै । अलका स्कुल जाए लेल तयार भऽ रहल छै । लेकीन कृष्णा अलकाके स्कुल जाइ लेल तयार होति देख पिता जाइ छै । कृष्णा आ रधियाके द्वन्द्वमे अलकाके भविष्य की हेतै ? रहिम पर शशिकलाके बातके केहन असर हेतै ? की जयराम उदगार आ सम्तोलीयाके बात मानतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -44

जनार्दनके कनियाँ अलकाके पैसा हेरा जाइछै । ओ जनार्दन पर जुआमे पैसा हारि गेल आरोप लगबै छै । जनार्दनके ककरो फोन अबै छै । ओ फोन पर कहै छै जे ओ सबकिछु सम्हारि लेतै । शिल्पा शशिकलाके फोन करै छै आ कहै छै जे अहिबेर ओकर महिना नइ भेलैय । शिल्पा डराएल रहै छै । शशिकला ओकरा समझबै छै आ कहै छै जे ओ जल्दीए शिल्पासँ भेट करऽ एतै । इम्हर जयराम अपन व्यापार लेल पैसाके जोगार कऽ देबऽ लेल सम्तोलीयाके कहै छै । ओ सम्तोलीयाके अपना नैहरसँ दहेज लाबऽ लेल कहै छै । लेकीन सम्तोलीया नइ मानै छै । जयराम आ सम्तोलीया बीचके द्वन्द्व केहन रुप लेतै ? शिल्पाके मोनमे जे अंदेशा छै से सच छै ? जनार्दनके सचमे जुआके लत छै ? ओकरा ककर फोन आएल छलै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -43

सरिताके बियाह तय भऽ गेल छै । बिन्देसर शिल्पाके सरिताके बियाहके बारेमे कहै छै । शिल्पा सरिताके बियाहके बारेमे सुनिकऽ बेसी खुश नइ होइ छै । रधिया राम आ कृष्णाके कहै छै जे ओकरासँ घरके काजसब नइ होइ छै । राम अलकाके घरमे राखऽ लेल कहै छै । रधिया अलकाके स्कुल पठेबाक बात पर अडल रहै छै । इम्हर कर्जासँ परेशान रहिम ऋण लऽ कऽ कर्जा चुकाबऽके सोचमे छै । ओ करिमाके कहै छै जे ऋणो लऽ कऽ कर्जा चुका देतै आ सबसँ पहिने जनार्दनके कर्जा चुकेतै । करिमा रहिमके बात सुनिकऽ अचम्भित रहि जाइ छै । करिमा ऋण लऽ कऽ कर्जा चुकाबऽ बला बातके विरोध करै छै । की करिमा रहिमके कर्जा लेबऽ देतै ? अलका स्कुल जेतै या घरमे रहिकऽ रधियाके सहयोग करतै ? शिल्पा सरिताके बियाह बला बातसँ कैला खुश नइ छै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -42

रधिया झलकके अपन गर्भवती भेल बात कहै छै । रधियाके बात सुनिकऽ झलक अचम्भित रहि जाइ छै । ओ रधियाके छै जे जखन रधिया दबाई खा रहल छलै तऽ फेर गर्भ केना रहलै ! जयराम उदगारके कहै छै जे ओकरा अपन व्यापार सुरु करऽके छै । लेकीन व्यापार लेल पैसा नइ छै । जयराम इहो कहै छै जे व्यापारके लेल ओ सम्तोलीयासँ पैसा मङतै । सम्तोलीयाके अपना नैहरसँ दहेज लाबऽ लेल कहतै । बिन्देसर शिल्पासँ शारिरिक सम्बन्ध राखऽ चाहै छै । लेकीन शिल्पा मना कऽ दै छै । की झलकके बातके रधिया लङ कोनो जबाब छै ? जयरामके दहेज बला बात पर उदगार कि कहतै ? शिल्पाके मना केनाइ बिन्देसर बर्दास्त करतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -41

जयराम सियाबतीसँ व्यापारके लेल पैसा मङ्गै छै । लेकीन सियाबती जयरामके अपना ससुरसँ दहेज माङ्गऽ लेल कहै छै । मुस्तकिम अपन परिवारके लोकके कहै छै जे जनार्दन ओकरा पर ऋणके पैसा लेल दबाब दऽ रहल छै । जनार्दनके नाम सुनिकऽ रहिम पिता जाइ छै । रहिम कहै छै जे ओ कहुनाकऽ जनार्दनके पैसा चुका देतै, लेकीन बजारमे तरकारी नइ बेचतै । रहिमके बात सुनिकऽ मुस्तकिम हैरान रहि जाइ छै । इम्हर फेरसँ गर्भवती भेल रधिया कृष्णा पर पिताइ छै । गर्भ रखबाक इच्छा नइ होइतो गर्भ राखऽ परल बातसँ रधिया दुःखी छै । की कृष्णा सेहो रधियाके गर्भवती भेल बात पर दुःखी हेतै ? या कृष्णा ई खबर सुनिकऽ खुश भऽजेते ? रहिम जनार्दनके पैसा केनाकऽ चुकेतै ? की जयराम अपन ससुर रामसँ दहेज मङ्गतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -40

रहिम करिमाके कहै छै जे गामपर रहिकऽ ऋण चुकेनाइ सम्भव नइ बुझाइ छै । ओ कहै छै जे एत्त रहिकऽ पैसा नइ कमासकैय । ओ फेरसँ विदेश जेबाक बात करैछै । शिल्पाके सासुरके लोकसभ शिल्पासँ खुश नइ छै । शिल्पाके साउस बुधनी शिल्पा आ ओकर परिवारके लोकके बात कहै छै । शिल्पाके घरके कामकाज नीकसँ नइ काएल होइछै अहि बातके शिकायत बुधनी करै छै । ओ अपन बेटा बिन्देसरके सेहो शिल्पाके लऽ कऽ बात कहै छै । जयराम सम्तोलीयाके कहै छै जे ओ आब अपन व्यापार सुरु करऽ चाहै छै । व्यापार लेल जयरामके पैसा चाही, मुदा ओकरा लँग पैसा नइ छै । सम्तोलीया जयरामके माईसँ पैसा माँगऽ लेल कहै छै । सियाबती जयरामके पैसा देतै ? बिन्देसर अपन माईके बातपर की जबाब देतै ? की करिमा रहिमके फेरसँ विदेश जाए देतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -39

बिन्देसर अपन ससुराइर फूलबटियामे छै । ओ दहेजमे मोटरसाइकल पाबिकऽ बहुत खुश छै । लेकीन शशिकला बिन्देसरसँ खुश नइ छै । ओ बिन्देसरके अपन शिकायतसब सुनबै छै । रामके बातमे आबिकऽ कृष्णा रधियापर दबाई नइ खाए लेल दबाब दै छै । रधिया कृष्णासँ दबाई किया नइ खाउ कहिकऽ कारण पुछै छै । रहिम आ मुस्तकिमके जनार्दनसँगे झगडा होइछै । रहिम अपन परिवारके हरेक दुःखक कारण जनार्दन रहल आरोप लगबै छै । लेकीन जनार्दन रहिमके आरोप अस्विकार करैत ओकरा अपन सहयोगसब याद दियबै छै । शशिकला किया अपन जमार्इसँ खुश नइ छै ? रधियाके कृष्णाक मोनक बात मालुम परतै ? की सचमे रहिमके परिवार पर पडल विपत्तिके कारण जनार्दन छै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -38

राम रधियाके गर्भ निरोधक गोटि खाइके बात पर प्रश्न उठबै छै । ओ कृष्णासँ गोटि खेबाक कारण पुछै छै आ कहै छै जे रधिया गोटि खेनाइ कोनो हालतमे नइ छोडतै । सियाबती रामलँग सम्तोलीयाके शिकायत केलकै, ई बात जयरामके नइ नीक लगै छै । ओ सियाबतीके कहै छै जे ओकरा एना नइ करक चाही छलै । कतबौ छै तऽ घरक बात घरेमे रहक चाही । शिल्पा आ सरिता शिल्पाके विवाहित जीवनबारे बतियाइ छै । सरिता शिल्पासऽ पुछै छै जे ओ विवाहित जीवनमे खुश छै की नइ ? शिल्पा सरिताके पढाइके बाद मात्रे बियाह करऽ लेल कहै छै । लेकीन सरिता कहै छै जे अहि गाममे कोन बेटी अपन जीवनके निर्णय अपना सऽ करै छै । की सरिताके जीवनमे सेहो शिल्पे जेना किछु होबऽ बला छै ? सियाबती पर जयरामके बातके असर पडतै ? की राम रधियाके गर्भ निरोधक गोटि खाएसँ रोकि देतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -37

जयराम आ सम्तोलीयामे सियाबतीके कारण फेरसऽ भनाभन भऽजाइ छै । जयराम सम्तोलीयाके सियाबतीके बात पर ध्यान नइ देबऽ लेल कहै छै । सम्तोलीया जयरामके सावधान करबै छै जे सियाबती खतरनाक साबित भऽसकैय । इम्हर रहिमके अबाइसँ करिमा लगायत घरके सब लोक बहुत खुश छै । करिमा रहिमके कहै छै जे ओ सहिसलामत घर आबि गेलै तैला सब कोइ अल्लाहके एहसानमन्द छै । शिल्पा आ सरिता शिल्पाके विवाहित जीवनबारे बतियाइ छै । सरिता शिल्पासऽ पुछै छै जे ओ विवाहित जीवनमे खुश छै की नइ ? शिल्पा सरिताके पढाइके बाद मात्रे बियाह करऽ लेल कहै छै । लेकीन सरिता कहै छै जे अहि गाममे कोन बेटी अपन जीवनके निर्णय अपना सऽ करै छै । की सरिताके जीवनमे सेहो शिल्पे जेना किछु होबऽ बला छै ? रहिम आ करिमाके जीवनके खुशहाली अहिना सब दिन रहतै ? सियाबतीके कारण जयराम आ सम्तोलीयामे फेरसऽ झगडा हेतै ?

Hilkor Episode -36

रहिमके परिवारमे सब केयो दुखी छै । सियाबती सबके समझाबऽ चाहै छै जे आब सब किछु बिसैरमऽ आगा बढऽ परतै । काशिराम शिल्पाके दोंगा लेल परेशान छै । ओ कहै छै जे दोंगामे खर्चा हेतै से कत्त सऽ अनतै । मनोहर काशिरामके ऋण लेबाक सल्लाह दै छै आ आश्वासन सेहो दै छै जे ओ ऋण ताकऽमे मदत करतै । इम्हर बजारमे खाद किनऽ आएल राम अपन मधिनी सियाबती सऽ भेट करै छै । सियाबती रामके कहै छै रामके बेटी सियाबतीके बेटाके अपन बसमे कऽ लेने छै । राम अपन पुतहुके बारेमे सेहो चर्चा करै छै । सियाबती रामके दिमागमे शंका भरऽ चाहै छै जे ओकर पुतहु कैला गर्भ निरोधक दबाई खाइ छै ।

Hilkor Episode -35

दुराग्मनके बाद पहिल बेर नैहर आएल शिल्पा अपन माइ शशिकलालग कनै छै । ओ अपन माइके सासुरके दुखडा सुनबै छै । शशिकला शिल्पाके ढाँढस बन्हबै छै । राम कृष्णापर अपन भडास निकालै छै । कृष्णा परिवार नियोजनक साधन प्रयोग कऽरहल छै ओहि बातके रामके दुख लागल छै । इम्हर रहिम करिमाके बेटा धरती छोरि दै छै । करिमा बेटाके इन्तकालसँ बेसुध भेल छै । ताबितेमे रहिम सेहो अपन गाम अबै छै । की रहिम अपन बेटाके अन्तिम बेर देख सकतै ? राम कृष्णाके की सब कहलकै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -34

कृष्णा आ रधिया परिवार नियोजनके साधन प्रयोग कऽरहल छै से बात अञ्जनी रामके कहि दै छै । अञ्जनीके बात सुनिकऽ राम अवाक रहि जाइ छै । जयराम उदगारलग सियाबती आ सम्तोलीयाके बीच चलिरहल तनावके बारेमे चर्चा करै छै । उदगार जयरामके कहै छै जे एकबेर ओ सियाबतीसऽ बात करतै लेकीन जयराम मना कदैछै । शिल्पाके हालतके लऽकऽ काशिराम चिन्तित रहै छै । काशिराम शिल्पाके दोंगा लेल जल्दीये बजाबऽके विचार रखै छै । शशिकला काशिरामके चिन्ता नइ लेबऽ लेल कहै छै । काशिराम शिल्पाके लेल आखिर किया चिन्तित छै ? परिवार नियोजनक साधनके बात सुनिकऽ आब राम की करतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -33

सियाबती आ सम्तोलीयामे फेरसऽ अनबन भऽजाइ छै । उदगारके खानापर बजेलाक कारण पिताइल सियाबती दोकानमे सम्तोलीयापर हाथ उठा दै छै । जयराम सियाबतीके हाथ पकरि लै छै । सलाउद्दिन रहिमके गाम फिर्ता जाइ लेल पैसाके सहयोग करबाक आश्वासन दै छै । रहिम कहै छै ओ जल्दीए पैसा फिर्ता कऽ देतै । परिवार नियोजनके दबाई खेलाके बाद रधिया निश्चिन्त भऽगेल छै । ओ कृष्णासँगे मजाक करैत रहै छै । कृष्णा आइ तोरा डर नइ लगै छौ कहिकऽ पुछै छै । रधिया कहै छै आब कथीके डर ? की रधिया कृष्णाबीचके दुरी हटि जेतै ? रहिम समय रहिते अपन गाम फिर्ता एतै ? सियाबती आब आगा की करतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्क अङ्कमे ।

Hilkor Episode -32

विदेशमे रहल रहिमके रुकैया फोन करै छै आ कहै छै जे बौआ बड बिमार छै । रहिम कहै छै जे ओ जल्दीये सब किछु मिलाकऽ गाम एतै । शिल्पा काशिरामके फोन करै छै । ओ फोनपर बहुत कनैत रहै छै । काशिराम मनोहरके कहै छै जे शिल्पा बड कनै छलै । ओकरा शिल्पा लेल चिन्ता भऽरहल छै । जयराम सम्तोलीयाके कहै छै जे ओ उदगारके खाना पर बजाबऽ चाहै छै । सम्तोलीया कहै छै जे उदगार नइ मानतै । जयराम विश्वास दियबै छै जे उदगार मानि जेतै । की उदगार फेरसऽ जयराम ओत्त एतै ? रहिम गाम केना फिर्ता एतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -31

शिल्पाके विवाहके बाद शशिकला बहुत उदास छै । काशिराम ओकरा समझबै छै । इम्हर कृष्णा रधियाके लऽकऽ गामक स्वास्थ्य चौकी जाइ छै । ओत्त झलक ओकरा दुनुके परिवार नियोजनक साधन सबके बारेमे जानकारी दै छै । रहिम आ करिमाके बेटा बहुत बिमार भऽजाइ छै । ओकरा घरके सब लोक मिलकऽ अस्पताल लजाइ छै । अपन बेटाके हालत देखकऽ करिमा बेसुध रहै छै । रहिम आ करिमाके बेटा ठीक हेतै ? कृष्णा परिवार नियोजनक साधन प्रयोग करबाक लेल तैयार हेतै ? सासुरमे शिल्पाके जिन्दगी सुखसऽ कटतै की नइ ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -30

हिलकोरके अङ्क २९ मे अँहासभ सुनलौं जे रधिया झलकके अपन आ कृष्णाके सम्बन्धमे आएल तनावके बारेमे कहै छै । झलक रधियाके समझबै छै जे ओकर सभक समस्याके बहुतो समाधान छै । जयराम उदगारसँ फेरसऽ माफी मँगै छै आ उदगार माफ सेहो कऽदै छै । उदगार जयरामके कहै छै जे ओ सम्तोलीयासँगे बहुत गलत केने छै । इम्हर शिल्पाके बियाह गगनपुरके बिन्देसरसँ भऽजाइ छै आ ओ अपन सासुर चलि जाइ छै । शिल्पाके दुराग्मनमे पुरा परिवारसहित ओकर संगी सरिता सेहो भावविह्वल भऽ कनै छै । शिल्पाके विवाह की सचमे ओकर जिन्दगी बदैल देतै ? रधिया आ कृष्णा फेरसँ प्रेमपूर्वक एकदोसरके नजदीक एतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -29

जयराम सम्तोलीयाके लऽकऽ पार्क घुमऽ गेल छै । जयराम सम्तोलीयाके मनाबऽके कोशिश करै छै । सम्तोलीया जयरामके कहै छै जे ओकरा केवल जयरामके विश्वास आ साथ चाही । रुकैया अपन पुतहु करिमाके कहै छै जे ओकरा शिल्पाके बियाहमे फूलबटिया जाएके छै । लेकीन करिमा कहै छै जे अखन नत पुरऽ लेल पैसा नइ छै । रुकैया जिद पकैर लै छै जे ओ कहुनाकऽ फूलबटिया जेतै । इम्हर शारिरिक सम्बन्धके लेल बेरबेर रधियाके मना केलाके बाद कृष्णा परेशान रहै छै । कृष्णाके रधिया कहै छै जे झलक कहने छलै जे ओ सब गर्भ नइ रहऽ बला बहुत साधनसब प्रयोग कसकैय । की जयराम आ सम्तोलीयाके सुधरि रहल सम्बन्ध सियाबतीके स्विकार्य हेतै ? करिमाके घरक आर्थिक तंगी की ओकरासबके परिवारके कलहके कारण बनतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -28

करीमा आ मुस्तकिम गामके बजारमे तरकारी बेचऽ गेल छै । ओत्त करिमा जनार्धनके देखै छै । मुस्तकिम आ करीमा जनार्धनसँ रहिमके बारेमे पुछै छै लेकिन जनार्धन बात टारि दै छै । ओ मुस्तकिमके ऋण लेल पैसाके ब्याज याद दियबै छै । काशिराम अपन हाकिम, गाविस सचिवके शिल्पाके विवाहमे आबऽ लेल निमन्त्रण दै छै । गाविस सचिव काशिराम आ मनोहरके शिल्पाके विवाह अखन नइ करऽ लेल समझबै छै । लेकिन मनोहर गाविस सचिवके बात सुनिकऽ हँसै छै । इम्हर अपन नैहर नरेनपुरसऽ सासुर फिर्ता आएल सम्तोलीया आ सियाबतीमे फेरसऽ झगडा भऽजाइ छै । सियाबती सम्तोलीयाके नैहरसऽ आएल सारी फेंक दै छै, जाहिपर सम्तोलीया कानऽ लगै छै । आब आगा की सब होइ छै, सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -27

 

काशिराम शिल्पाके विवाह गगनपुरके लडकासँ तय कदेलकै ताहिलेल शशिकला काशिरामपर पिताई छै । काशिराम आ शशिकलामे अही बातके लऽकऽ  बाताबाती भऽजाई छै । पिपहियाके उदगार आ नरेनपुरके झलक, जे एकदोसरसँ बहुत प्रेम करै छै, अपन अपन मोनक बात एकदोसरके कहै छै । विवाहके बाद अपन जिन्दगी केहन हेतै कहिकऽ झलक उदगारसँ प्रश्न करै छै । विदेशमे रहल रहिमके ओकर साथि सलाउद्दिन पुछै छै जे ओ अपन घरके लोकसँ अपन काजके बारेमे झुठ कैला बजै छै । ताहि पर रहिम कहै छै जे ओ कोन मुँहसऽ अपन परिवारके लोकके सच बात कहौक ।

Hilkor Episode -26

 

 

नरेनपुरके जानलमानल अञ्जनी राम आ कृष्णालग एकटा प्रस्ताव रखै छै । जे ओ रामके परिवारके आर्थिक सहयोग करतै लेकीन ताहिके लेल राम आ कृष्णाके अञ्जनीक एकटा सर्त मानऽ परतै । रधिया आ ओकर ननदि सम्तोलीया एकदोसरसँगे अपन अपन दुख बँटै छै । दुनु अपन अपन घरबलासँ परेशान आ दुखी छै । सम्तोलीया रधियाके कहै छै जे ओकर घरबला जयराम एतेक बदैल जेतै से ओ नइ सोचने छलै । इम्हर शिल्पाके लेल लडका देखऽ काशिराम आ मनोहर गगनपुरमे बेदानन्द ओत्त जाइ छै । ओसब बेदानन्दके बेटा बिन्देसरसँ शिल्पाके विवाहके बात करै छै । लेकीन बेदानन्दके माँग सुनिकऽ काशिराम चिन्तामे परि जाइ छै । की शिल्पाके विवाह बिन्देसरसँ हेतै ? अञ्जनी राम आ कृष्णालग कोन सर्त रखै छै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -25

जयराम अपन माई सियाबतीके कहै छै जे सम्तोलीया अपन नैहर नरेनपुर गेल छै, अपन भोजीके देखऽ । अहि बातपर सियाबती पिता जाई छै । इम्हर रहिमके कोनो खबर नइ एलाक कारण चिन्तित करिमा आ नजमाके जनार्धन रहिमके हालखबर सुनबै छै । करिमा रहिमसँ बात करादेबाक जिद करै छै । जाहि पर जनार्धन कहै छै जे ओ रहिमके कहतै करिमाके फोन कऽलेबऽ लेल । जनार्धन करिमाके रहिमके अनुपस्थितिमे चिन्ता नइ लेबाक लेल कहैत अपन भरोस देखबै छै । अपन भौजी रधियाके देखऽ आएल सम्तोलीयाके अञ्जनी कहै छै जे रधियाके हालतके जिम्मेवार सम्तोलीयाके बाबु राम छै । लेकीन सम्तोलीया कहै छै रधियाके हालतके प्रमुख जिम्मेवार कृष्णा छै ।

Hilkor Episode -24

रुकैयाके बहिना शशिकला पहिलबेर रुकैयाके गाम गगनपुर जारहल छै । रुकैया शशिकलाके स्वागत सत्कारके तयारीमे व्यस्त रहै छै । शशिकला रुकैया सऽ शिल्पाके बियाहके बारेमे बात करै छै । शशिकला अोई लडकाके बारेमे रुकैयासऽ पुछै छै । रुकैयाके लडकाके बारेमे शशिकलाके कहै छै । उदगार सम्तोलीयाके जयरामके माफ कऽ देबऽ लेल कहै छै । जयराम सेहो सम्तोलीयाके मनबै छै । लेकीन सम्तोलीया जयराम पर विश्वास नइ करऽ चाहै छै । की सम्तोलीया जयरामके माफ कदेतै ? रुकैया शशिकलाके अोई लडकाके बारेमे की सब कहै छै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -23

शिल्पा अपन बाबु काशिरामके कहै छै जे अोकरा अखन बियाह नइ करऽके छै । अो अपन सपना सबके बारेमे सेहो काशिरामके कहै छै । खेतसँ सिधा अस्पताल अाएल रधियाके झलक कहै छै जे अोकरा फेरसँ गर्भपतन भऽगेलै । ई सुनिकऽ रधिया विचलित भऽजाइ छै । इम्हर विदेश गेल रहिमके विदेशमे एकटा साथि भेटै छै, सलाउद्दिन । सलाउद्दिनके रहिम कहै छै जे विदेश आबिकऽ अो फैंस गेलै । की रहिम विदेशमे खुश नइ छै ? अो किया कहलकै जे विदेश आबिकऽ अो फैंस गेलै ? काशिराम शिल्पाके की जबाब देतै ? आब रधियाके राम आ कृष्ण की कहतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का अङ्कमे ।

Hilkor Episode -22

रधिया आ राम खेतमे काज करहल छै । रधिया लगातार रामके अपन मोन ठीक नइ भेल बात कहै छै । अोकरा सँ काज नइ काएल भऽ रहल छै आ अोकरा घर जाइके छै सेहो बात रधिया रामके कहै छै । जयराम आ उदगारके फेरसँ दोस्ती भऽजाइ छै । जयराम उदगारके सम्तोलीयाके मना देबऽ लेल कहै छै । इम्हर सरिता शिल्पाके कहै छै जे अो एकबेर अपना बाबुके कहौक जे अोकरा बियाह नइ करऽके छै । रामके जिदके कारण रधियाके स्वास्थ्य पर केहन असर परतै ? की सम्तोलीया मानतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -21

जयरामके हाथ पकलाके बाद अोकरासऽ अपन काज काएल नइ होइ छै । अो सम्तोलीयाके नहायमे सहयोग कऽ देबऽ लेल कहै छै लेकीन समतोलीया नइ मानै छै । विदेश गेल रहिम पहिल बेर घरमे फोन करै छै । अो रुकैयासऽ कहिकऽ जनार्दनके फोन करऽ लेल खबर पठबै छै । इम्हर बिमारीके कारण आराम कऽ रहल रधियाके कृष्णा खेतपर काज करऽ जाए लेल दबाब दै छै । रधियाके खराब स्वास्थ्यके वास्ता नइ करैत कृष्णा अोकरा पर खेत पर जाए लेल तम्साइ छै । हिलकोरमे आगा की सब हेतै से सुनु अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -20

रहिम विदेश जेबाक लेल घरसँ निकैल रहल छै । रहिम घरक लोक सभके समझबै छै जे ओ ओकरे सभके लेल विदेश जेबाक निर्णय लेलकैय । काशिराम अपन कनियाँ शशिकलाके शिल्पाके लेल आएल कथाके बारेमे कहै छै मुदा शशिकला काशिरामके बात सुनिकऽ खुश नइ होइ छै । सियाबती फेरसऽ जयराम आ सम्तोलीयामे झगडा लगाबऽ चाहै छै । ओ जयरामके कहै छै जे सम्तोलीयाके जयरामसँ कोनो मतलब नइ छै । इम्हर सम्तोलीया सेहो जयरामके पाकल हाथके बेवास्ता करैत ओकर देखभाल नइ करै छै । की जयराम आ सम्तोलीयाके आब एकदोसरसँ कोनो मतलब नइ छै ? बेटीके विवाहके बात पर कि काशिराम आ शशिकलामे बडका झगडा भजेतै ? रहिमके विदेश गेलाक बाद करीमाके जीवनमे की सब हेतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -19

मनोहर शिल्पाके विवाहके लेल एकटा कथा लऽकऽ अबै छै । ओ काशिरामके लडका आ लडकाके परिवारके बारेमे कहै छै । रधीयाके इलाजके लेल अस्पताल अायल कृष्णाके झलक समझबै छै । झलक कृष्णाके कहै छै जे रधीयाके स्वास्थ्य बहुत कमजोर छै आ कृष्णाके ओकर बढियासँ देखभाल करक चाही । रहिमके विदेश जेबाक समय भऽगेल छै । घरके सब लोक रहिमके जेबाक तयारीमे लागल छै मुदा घरक लोकसब बहुत उदास आ निराश छै । घरक बेटा पहिल बेर नजरिसँ दुर जारहल कारण घरमे उदासी छै । काशिराम, कृष्णा आ रहिम अपन जीवनमे अायल नव मोड आ चुनौतीके सामना केना करत । आब आगा ई तीनुके जीवनमे की की परिवर्तन अवतै । सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -18

राम पोखरिमे महिषके नहा रहल छै । रामके पुतहु रधीया सेहो ओहिठाम छै । राम रधीयाके महिष तानि देबऽ लेल पोखरिमे बजबै छै । लेकीन रधीया, जे शरिरसँ बहुत कमजोर छै, ओकरासँ महिष तानल नइ होइ छै । जयराम अपन हातके इलाज कराबऽ स्वास्थ्यचौकी जाइ छै । ओत्त जयराम आ झलकके बीच उदगारके लऽकऽ बहुत रंगके बात होइछै । काशिराम अपन बेटी शिल्पाके उदास देखि ओकरा मनबै छै । काशिराम शिल्पाके कहै छै जे ओ शिल्पालेल सबदिन नीके करतै । काशिराम अपन बेटी शिल्पाके खुश करऽ लेल अपन किछु योजना सुनबै छै । काशिरामके दिमागमे की चलिरहल छै ? जयराम झलकके उदगारके बारेमे की सब कहै छै ? की रधीयाके स्वास्थयपर सचमे कोनो बडका संकट आबऽ बला छै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -17

जयराम खिसियाल घर अबै छै आ सम्तोलीया जयराममे झगडा होइछै । जयराम सम्तोलीयाके फेरसऽ पिटऽ चाहै छै लेकीन अहि बेर जयरामके वार उल्टा परि जाइ छै । रहिम आ मुस्तकिम पैसा लेबऽ जनार्दन ओत्त गेल छै । जनार्दन मुस्तकिमके कहै छै जे रहिमके विदेशमे बढिया काज भेटल छै । ओ अफिसमे बैसकऽ आराम सऽ काज करतै । रधीया आ झलक फूलबारीमे फूल रोपैत रहै छै । कृष्णा सेहो अबै छै । कृष्णा कहै छै जे ओकरा अहिबेर बेटे हेतै । कृष्णाके बातपर रधीया आ झलकके की प्रतिक्रिया हेतै ? जनार्दनके बात की सच छै ?

Hilkor Episode -16

रहिम लेल पर्याप्त पैसाके व्यवस्था नइ भऽसकलाक कारण मुस्तकिम परेशान छै । लेकीन रहिम कहै छै जे जनार्दन ओकरा लेल कतौसऽ पैसाके व्यवस्था कऽ देतै । काशिराम अपन बेटी शिल्पाके कारण बहुत परेशान छै । मनोहर काशिरामके आश्वासन दै छै जे ओ ओकर समस्याके निराकरण करतै । इम्हर सियाबती जयरामके कहै छै जे ओकर घरवाली सम्तोलीया उदगारसँगे बजार घुमै छै । लेकीन जयराम सब किछु चुपचाप देख रहल छै । सियाबतीके बात पर जयराम केहन प्रतिक्रिया देतै ? मनोहर कोनाकऽ काशिरामके चिन्ताके निराकरण करतै ? की सचमे जनार्दन रहिमके अार्थिक सहयोग करतै ? सुनु हिलकोरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -15

स्कुल लेल तयार भऽ रहल शिल्पापर काशिराम पिताइ छै । शिल्पाके स्कुल जेबाक बातपर काशिराम आ शशिकलामे सेहो कहाकही भऽजाइ छै । इम्हर रधीया गर्भवती छै से बात ओ कृष्णाके कहि दै छै । ई सुनिकऽ कृष्णा खुश भऽजाइ छै । कृष्णा रामके सेहो ई खबर दै छै । राम सेहो खुश भऽजाइ छै । रहिम विदेश जाइ बला बात नइ कहलकै ताहि लेल मुस्तकिम खिसियाल रहै छै । रहिम मुस्तकिमके पैसाके जोगार कऽदेबऽ लेल कहै छै । ई सुनिकऽ मुस्तकिम आरो पिता जाइ छै ।

Hilkor Episode -14

रधियाके मोनमे शंका छै जे ओ गर्भवती छै । ओ अपन शंका झलकके सुनबै छै । जयराम आ सम्तोलियामे फेरसऽ झगडा होइ छै आ जयराम सम्तोलियाके पिटै छै । शशिकला शिल्पाके स्कुल जाइ लेल दबाब दै छै । की शशिकलाके प्रयाससँ शिल्पा फेरसँ पढतै ? रधियाके जीवनमे अागा केहन मोड एतै ? जयराम आ सम्तोलियाके सम्बन्ध की सब दिन एहने रहतै ? सुनु हिलकोरक अगिल्का भागमे ।

 Hilkor Episode -13

सम्तोलिया आ उदगारके लऽकऽ अपन मोनमे रहल शङ्का जयराम उदगारके सुना दै छै । जनार्धन मुस्तकिमके रहिमके विदेश जाइ बला बात कहि दै छै । राम अञ्जनीके कहै छै जे आब ओ जल्दीये बाबा बनतै । अञ्जनी कृष्णासऽ पुछै छै जे की र्इ बात सच छै ? की सच्चे राम फेरसऽ बाबा बनऽ बला छै ? रहिमके विदेश जेबाक बात बुझलाके बाद मुस्तकिम पर की असर परतै ? की आबो उदगार आ जयरामके मित्रता यथावत रहतै ?

Hilkor Episode -12

रहिम करिमाके कहै छै जे अो विदेश जारहल छै । करिमा अोकरा गामेमे रहिकऽ किछो काज करऽ लेल कहै छै । काशिराम शिल्पाके गाैतमसँगे की करै छलै कहिकऽ डँटै छै । इम्हर उदगार अा सम्ताेलियाके मन्दिरमे भेट हाेइ छै । मन्दिरमे अागा की की हाेइ छै ? सुनु हिलकाेरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -11

काशिराम मनाेहरके शिल्पाके किताबमे भेटल प्रेमपत्रके बारेमे कहै छै । मनाेहर कहै छै जे अाे शिल्पाके गाैतमसँगे देखने छलै । कृष्णा रधियासँगे शारिरिक सम्बन्ध राखऽ चाहै छै लेकीन रधिया मना कऽ दै छै । जनार्धन रहिमके खाेजैत घर अबै छै आ पैसा लेल पुछै छै । अाब अागा की हेतै, सुनु हिलकाेरके अगिल्का भागमे ।

Hilkor Episode -10

राम अा कृष्णा खेतमे खाद छीटैत रहै छै । कृष्णाके पण्डित काकाके पाेताके उपनयनमे जाइके जल्दी छै । जाहि कारणे राम अोकरा पर पिताइ छै । इम्हर सम्ताेलिया अा जयराममे झगडा हाेइछै अा जयराम सम्ताेलिया पर हाथ उठबै छै । स्कुल जारहल शिल्पाके गाैतम रस्तापर राेकि लै छै अा अपन प्रेम प्रस्तावके जवाफ मँगै छै । की शिल्पा गाैतमके प्रेम प्रस्ताव स्विकार करतै ? जयराम अा सम्ताेलियाके झगडा काेन रुप लेतै ?

Hilkor Episode -09

उदगार अा सम्ताेलिया हँसैत अबै छै जे जयरामके पसन्द नइ परै छै । रहिमके हाथमे कागज देखकऽ करिमा केहन कागज छै कहिकऽ पुछै छै । लेकीन रहिम अाेकरा किछु नइ कहै छै । अागा जयराम सम्ताेलिया अा रहिम करिमाके सम्बन्धमे केहन बदलाब एतै ?

Hilkor Episode -08

शिल्पाके किताबमे प्रेमपत्र भेटलासऽ खिसियाल काशिराम की करतै ? अपन बेटी शिल्पाके स्कुल पठेतै या बियाह कऽ देतै ? इम्हर जनार्धनके बातमे अाबिकऽ रहिम विदेश जेतै ? या गाममे रहिकऽ अब्बाके सहयाेग करतै ?

Hilkor Episode -07

काशिरामके शिल्पाके किताबमे प्रेमपत्र भेट जाइ छै । अाे शिल्पा पर बहुत खिसियाइ छै । इम्हर रुकैया मुस्तकिमके रहिमके लेल नाेकरी ताकि देबऽ लेल कहै छै । लेकिन मुस्तकिम रुकैया पर तम्साकऽ चलि जाइ छै । अाब काशिराम शिल्पासँगे की करतै ? की मुस्तकिम रहिमके नाेकरी ताकऽ मे सहयाेग करतै ?

Hilkor Episode -06

अञ्जनी कृष्णाके कहै छै जे अाे रामके समझेतै । सम्ताेलिया अा उदगार झलकके बारेमे बतियाइत रहै छै । इम्हर गाैतम अा अाेकर साथिसभ मिलकऽ शिल्पाके झाेलामे प्रेमपत्र राखि दै छै । गाैतमके प्रेमपत्र की शिल्पाके जीवनमे काेनाे बडका परिवर्तन अनतै !

Hilkor Episode -05

उदगारके अबार्इके कारण सम्ताेलिया घर अाँगन साफ करैत रहै छै । सियाबती सम्ताेलियाके उदगारके अबार्इसऽ अाे किया खुश छै कहिकऽ डँटै छै । रहिम बारीमे काज नइ करऽ चाहै छै । ताहिलेल अाेकर अब्बा मुस्तकिम अाेकरा डँटै छै । राम अपन बेटा कृष्णापर पाेता लेल दबाब दै छै । कृष्णा कहै छै जे पिछला बेर रधियाके की भेल छलै कहिकऽ रामके याद दियबै छै ।

Hilkor Episode -04

सियाबतीके जयरामके सबसँ नीक अा नजदीकके साथी पसन्द नइ छै । अाे जयरामके कहै छै अपन साथीसऽ दुर रहऽ लेल । इम्हर काशिराम अपन बेटी शिल्पाके स्कुल नइ जाइ देबऽ चाहै छै । लेकीन शिल्पाके माइ शशिकला अपन बेटीके स्कुल पठेबाक अडान पर छै । की शिल्पा स्कुल जेतै !

Hilkor Episode -03

रहिम अपन गाममे रहिकऽ काेनाे काज करत, या जनार्धनके बातमे अाबिकऽ विदेश जाएत !

Hilkor Episode -02

काशीराम शिल्पाके स्कूल नइ जाएके लेल दवाव दै छै । मुदा अाेकर माय शशीकला शिल्पाके स्कूल जाएके लेल, अरान लेने छै । कि शिल्पा स्कूल जेतै त !

Hilkor Episode -01

Episodes: